Skip to content

अमेरिका मे सात बरस सँ समा चकेवा पर्वक उत्सव — आब ई पर्व पूरा अमेरिका मे फैल रहल अछि

ANTA द्वारा वासिङ्टन डीसी,अमेरिका मे सात बरस सँ समा चकेवा पर्वक उत्सव — आब ई पर्व पूरा अमेरिका मे फैल रहल

एसोसिएशन अफ नेपाली तराईयन्स इन अमेरिका (ANTA) द्वारा मंगलबार, नवेम्बर ४, २०२५ के दिन वासिङ्टन डीसी मे पारंपरिक समा चकेवा पर्व बहुत धूमधाम सँ मनायल गेल। ई पर्व मैथिली कला, संस्कृति आ अपन पहिचानक संरक्षण आ प्रवर्द्धनक प्रतीक बनि गेल अछि।

पिछला सात बरस सँ अध्यक्ष मोहन कुमार यादव के नेतृत्व मे अंटा ई पर्व निरंतर मना रहल अछि, जे आब पूरा अमेरिका मे विभिन्न राज्य मे फैल रहल अछि। समा चकेवा दाइ-भाइ बीचक माया, स्नेह आ पारिवारिक एकता केँ सम्मानित करैछ।

ई वर्षक कार्यक्रम मे मैथिली गीत, भजन आ लोकनृत्य प्रस्तुत कएल गेल, जे मिथिला संस्कृति आ प्रेमक सन्देश केँ उजागर कएलक। मञ्जु यादव केँ सांस्कृतिक कार्यक्रमक नेतृत्व आ समर्पण लेल विशेष धन्यवाद देल गेल।

अंटा तरफ सँ प्रवक्ता कञ्चा चौधरी, CEC सदस्य रभिला साह, प्रियंका झा, स्वेक्षा साह, आ NRNA भर्जिनिया महिला उपाध्यक्ष रीना पंडित केँ सेहो हार्दिक धन्यवाद देल गेल, जे अपन प्रस्तुति सँ कार्यक्रम केँ जीवन्त बनौलक।

विशेष धन्यवाद अंटा मेरीलैंड च्याप्टरक अध्यक्ष राजेश कुमार गुप्ता, हुनकर परिवार आ मित्र लोकनिक लेल देल गेल, जे पहली बेर मेरीलैंड मे ई पर्वक आयोजना करलनि। हुनकर प्रयास एएनटीएक सांस्कृतिक अभियान केँ आर व्यापक बनौलक।

अध्यक्ष मोहन यादवक दूरदर्शी नेतृत्व मे, अंटा अमेरिकाभर नेपाली तराई समुदायक संस्कृति, कला आ परम्परा केँ जोगबैत आ आगाँ बढ़बैत रहल अछि। समा चकेवा आब अमेरिका मे नेपाली समुदायक गर्व आ एकताक प्रतीक बनि गेल अछि।

ANTA सब समुदाय सदस्य, सहयोगी आ शुभेच्छुक लोकनिक हार्दिक धन्यवाद ज्ञापन करैत अछि। हम सभ मिलि अपन संस्कृति आ गौरव केँ भविष्य पीढ़ी धरि जोगबैत रहब।

प्रकाशक: एसोसिएशन अफ नेपाली तराईयन्स इन अमेरिका (ANTA)
वेबसाइट: www.anta-terai.org
ANTA President Mohan Yadav

Anta official

Anta official

This is Anta official Website.